Friday, March 27, 2015

चैनपुर के बेटा के भेटल फिल्म फेयर पुरस्कार

ओना त चैनपुर के धरती कतेको रत्न के जन्म देलक आ सब अपन अपन क्षमता के अनुसार देश-विदेश में नाम रौशन केने छैथ. मुदा एहि साल किछ अभूतपूर्व भेल. चैनपुर के सुप्रसिद्ध डॉक्टर श्री बिनोद ठाकुर जी के पुत्र श्री तनुल ठाकुर जी के फिल्म फेयर पुरस्कार भेटल- श्रेष्ठ फिल्म समीक्षक के लेल. श्री तनुल इ पुरस्कार प्राप्त करय वला सबसे कम उम्र के आलोचक छैथ. अपन पिता के कर्मस्थली धनबाद में अपन प्रारंभिक शिक्षा प्राप्त केला के उपरांत श्री तनुल मनिपाल विश्वविद्यालय एवं अमेरिका के एक यूनिवर्सिटी से विद्युत् इंजीनियरिंग के डिग्री प्राप्त केलैथ  आ किछ दिन नौकरी सेहो.  मुदा अपन पसंद आ जूनून के देखैत बढ़िया नौकरी छोडि देश आबि गेलाह आ फिल्म समालोचना के कार्य में लागि गेलाह. सफलता  भेटलेन सेहो एतेक कम उम्र में. हम सब गर्वित छि हुनका उपलब्धि से. शुभकामना जे भविष्य में श्री तनुल खूब नाम करैथ .  बाबा नीलकंठ एवं काली माय हुनका खूब शक्ति देथुन.