Sunday, June 10, 2018

चैनपुर के दुलरी बेटी: ज्योति NEET 2018 पुष्पांजलि IIT 2018 मे बाज़ी मारलक

चैनपुर के बेटा सब त' हाल मे अपन प्रतिभा के डंका त' बजेबे केलक, आब बेटियो सब राष्ट्रीय स्तर पर अपन लोहा मनबे' रहल छैथ. स्वनाम धन्य संतोष कुमार ठाकुर एवं श्रीमती श्वेता कुमारी  (शिक्षक द्वय) के पुत्री ज्योति ठाकुर 'NEET 2018'  (मेडिकल प्रवेश परीक्षा) मे  #AIR5459 आनि सम्पूर्ण ग्रामवासी के' गौरवान्वित होय के अवसर प्रदान केलक. ज्योति दसवीं एवं बारहवीं बरियाही स्थित शांति मिशन अकादमी से  केलक.

दोसर दिस आय IIT ADVANCE 2018 के परिणाम प्रकाशित भेल. गामक विख्यात शिक्षक श्री रामफूल मिस्त्री एवं श्रीमती सरिता देवी के पुत्री सुश्री पुष्पांजलि एहि परीक्षा मे सफल भेलीह. पुष्पांजलि चैनपुर के दोसर पुत्री छथिन जे IIT मे पढ़तीह. एहि से पहिने हिनक अग्रजा पूजा कुमारी IIT GANDHINAGAR से बी.टेक केलैथ. सुश्री पुष्पांजलि के ओबीसी कैटेगरी मे (OBC-NCL) #AIR2685 भेटल छैन. पुष्पांजलि दसवीं हाई स्कूल चैनपुर से केने छैथ.

चैनपुर के दुनु दुलरी बेटी के अशेष बधाई एवं सुखद भविष्य के लेल शुभकामना.

Sunday, April 29, 2018

सोमेश IIM सँ MBA केलैथ

श्री कृत्यानंद ठाकुर उर्फ सरल भाय के पुत्र सोमेश कात्यायन एहि साल IIM कोझीकोड से MBA के डिग्री प्राप्त केलैथ। सोमेश IIT BHU सँ बी. टेक छैथ आ 2016 मे CAT परीक्षा मे सफल भ' IIM कोझीकोड मे एडमिशन लेने रहैथ। उल्लेखनीय ऐछ जे सोमेश एवं सागर दुनु गोटे एक्के संग 2011-15 मे IIT BHU  सँ बी.टेक केलैथ।
बहुत बहुत बधाई सोमेश के। सम्पूर्ण चैनपुर गर्वित ऐछ हुनक उपलब्धि सँ।

सागर सिविल सर्विसेज 2017 के परीक्षा मे सफल

श्री मिहिर कुमार झा 'भगवान जी' एवं श्रीमती सविता झा के कनिष्ठ पुत्र एवं श्री सोहन झा, पूर्व मुखिया (चैनपुर पंचायत) के पौत्र सागर कुमार झा सिविल सर्विसेज परीक्षा 2017 मे पूरे देश मे 13 वां रैंक आनि केवल अपने मान टा नै अपितु सम्पूर्ण गामक नाम देश भरि प्रसिद्ध केलक। हुनका अशेष बधाई। विदित हो एहि सँ पहिनहु सागर UPSC द्वारा आयोजित असिस्टेंट कमांडेंट के परीक्षा मे अव्वल आबि अपन प्रतिभा देश भरि मे देखौलनि।
सागर बचपने मेधावी छात्र के रूपें प्रसिद्ध छैथ। IIT BHU सँ बी टेक क सैमसंग इंडिया मे किछ दिन जौब केलाक बाद ओ नौकरी छोड़ि सिविल सर्विसेज के तैयारी मे लागि गेलाह, जकर सुखद परिणाम एहि बेर भेटल। चैनपुर के इतिहास मे ई तेसर छैथ जे सिविल सेवा परीक्षा मे सफल भेलाह। सबसँ पहिने सरोज कुमार ठाकुर (IPS-2010) आ फेर सत्यम ठाकुर (IRS-2016). सागर सेहो प्रथम च्वाइस IPS देने छैथ। बहुत बहुत बधाई सागर के'। सागर के सफलता आरो छात्र सब के प्रेरित करत, इ उम्मीद ऐछ।