Sunday, April 29, 2018

सोमेश IIM सँ MBA केलैथ

श्री कृत्यानंद ठाकुर उर्फ सरल भाय के पुत्र सोमेश कात्यायन एहि साल IIM कोझीकोड से MBA के डिग्री प्राप्त केलैथ। सोमेश IIT BHU सँ बी. टेक छैथ आ 2016 मे CAT परीक्षा मे सफल भ' IIM कोझीकोड मे एडमिशन लेने रहैथ। उल्लेखनीय ऐछ जे सोमेश एवं सागर दुनु गोटे एक्के संग 2011-15 मे IIT BHU  सँ बी.टेक केलैथ।
बहुत बहुत बधाई सोमेश के। सम्पूर्ण चैनपुर गर्वित ऐछ हुनक उपलब्धि सँ।

सागर सिविल सर्विसेज 2017 के परीक्षा मे सफल

श्री मिहिर कुमार झा 'भगवान जी' एवं श्रीमती सविता झा के कनिष्ठ पुत्र एवं श्री सोहन झा, पूर्व मुखिया (चैनपुर पंचायत) के पौत्र सागर कुमार झा सिविल सर्विसेज परीक्षा 2017 मे पूरे देश मे 13 वां रैंक आनि केवल अपने मान टा नै अपितु सम्पूर्ण गामक नाम देश भरि प्रसिद्ध केलक। हुनका अशेष बधाई। विदित हो एहि सँ पहिनहु सागर UPSC द्वारा आयोजित असिस्टेंट कमांडेंट के परीक्षा मे अव्वल आबि अपन प्रतिभा देश भरि मे देखौलनि।
सागर बचपने मेधावी छात्र के रूपें प्रसिद्ध छैथ। IIT BHU सँ बी टेक क सैमसंग इंडिया मे किछ दिन जौब केलाक बाद ओ नौकरी छोड़ि सिविल सर्विसेज के तैयारी मे लागि गेलाह, जकर सुखद परिणाम एहि बेर भेटल। चैनपुर के इतिहास मे ई तेसर छैथ जे सिविल सेवा परीक्षा मे सफल भेलाह। सबसँ पहिने सरोज कुमार ठाकुर (IPS-2010) आ फेर सत्यम ठाकुर (IRS-2016). सागर सेहो प्रथम च्वाइस IPS देने छैथ। बहुत बहुत बधाई सागर के'। सागर के सफलता आरो छात्र सब के प्रेरित करत, इ उम्मीद ऐछ।