Thursday, August 4, 2022

 गामक दुलरी बेटी कुमारी मीनाक्षी पिता श्री प्रभाकांत मिश्र एवं माता श्रीमती मीरा मिश्र , ६६ वीं बिहार लोक सेवा आयोग के परीक्षा में ७० वां रैंक आनि सफल भेलीह. मिनाक्षी  नेनपन से  बहुते  मेधावी छलीह. १० वीं एवं १२ वीं नीक अंक से सफल भ  के  पूसा केंद्रीय कृषि विश्वविद्यालय सं  स्नातक गोल्ड मैडल संगे उत्तीर्ण केलीह आ अपन प्रतिभा के डंका बजेलैथ.

इ प्रथम अवसर अछि जे चैनपुर के कियो बेटी  बिहार लोक सेवा आयोग के सिविल सेवा परीक्षा में सफल भेलीह.

मीनाक्षी के समस्त ग्रामीण के दिश सं एही सफलता के लेल अशेष बधाई आ शुभकामना.


 हुनकर इ सफलता कतेको छात्र सबहक लेल प्रेरणा के काज करत.