Tuesday, May 26, 2020

चैनपुर : मैट्रिक रिजल्ट 2020

आय चैनपुर के एकटा बेटी इतिहास बनेलक। दसवीं बोर्ड के आय रिजल्ट घोषित भेल। चेनपुर उच्च विद्यालय के 53 बर्ष के इतिहास मे पहिल बेर चैनपुर के बेटी स्तुति मिश्रा संपूर्ण बिहार में 475 अंक यानि 95 प्रतिशत अंक आनि छठम स्थान (अन्य छ: छात्रों के संग) प्राप्त केलक आ लड़की वर्ग में संपूर्ण बिहार में दोसर स्थान।

दोसर दिस गामक पुत्र परमानंद ठाकुर 92.1 प्रतिशत अंक यानि 461 अंक आनि टौप 100 मे जगह बनेलक।

एहि दुनु बच्चा के परफार्मेंस से पूरा गाम आ सहरसा जिला गर्वित अति। दुनु बच्चा के उज्ज्वल भविष्य के लेल हार्दिक शुभकामना। बाबा नीलकंठ आ काली माय के आशीष बनल रहे।