चैनपुर के बेटा सब त' हाल मे अपन प्रतिभा के डंका त' बजेबे केलक, आब बेटियो सब राष्ट्रीय स्तर पर अपन लोहा मनबे' रहल छैथ. स्वनाम धन्य संतोष कुमार ठाकुर एवं श्रीमती श्वेता कुमारी (शिक्षक द्वय) के पुत्री ज्योति ठाकुर 'NEET 2018' (मेडिकल प्रवेश परीक्षा) मे #AIR5459 आनि सम्पूर्ण ग्रामवासी के' गौरवान्वित होय के अवसर प्रदान केलक. ज्योति दसवीं एवं बारहवीं बरियाही स्थित शांति मिशन अकादमी से केलक.
दोसर दिस आय IIT ADVANCE 2018 के परिणाम प्रकाशित भेल. गामक विख्यात शिक्षक श्री रामफूल मिस्त्री एवं श्रीमती सरिता देवी के पुत्री सुश्री पुष्पांजलि एहि परीक्षा मे सफल भेलीह. पुष्पांजलि चैनपुर के दोसर पुत्री छथिन जे IIT मे पढ़तीह. एहि से पहिने हिनक अग्रजा पूजा कुमारी IIT GANDHINAGAR से बी.टेक केलैथ. सुश्री पुष्पांजलि के ओबीसी कैटेगरी मे (OBC-NCL) #AIR2685 भेटल छैन. पुष्पांजलि दसवीं हाई स्कूल चैनपुर से केने छैथ.
चैनपुर के दुनु दुलरी बेटी के अशेष बधाई एवं सुखद भविष्य के लेल शुभकामना.

No comments:
Post a Comment