Friday, October 1, 2021

पंचायत चुनाव २०२१

 २९ सितंबर २०२१ के भेल पंचायत चुनाव में मुखिया पद के परिणाम आबि गेल। श्रीमती सविता झा लगभग ३५० मत सं विजय के वरण केलीह। हार्दिक बधाई सविता झा जी। 

एहि बेरक मुखिया' के चुनाव बड्डी हाई प्रोफाइल छल। संपूर्ण सहरसा जिला के लोक के ध्यान छल चैनपुर के चुनाव पर। एक दिश निवर्तमान मान मुखिया श्रीमती सोनी देवी, दोसर दिश युवा दिल के धड़कन आइपीएस सागर के माता श्रीमती सविता झा एवं तेज तर्रार आधुनिक कारपोरेट के नौकरी छोड़ि श्रीमती रूपम झा मुखिया के चुनाव के त्रिकोणीय एवं रोमांचक बना देलखिन। श्रीमती कुंती देवी (अगम झा के मां) एवं श्रीमती मुन्नी देवी (सुंदर कांत ठाकुर के पत्नी) से हो सशक्त दावेदारी राखलैथ। मुदा  विजय श्री त एक्के उम्मीदवार के भेटनाय छल जाहि श्रीमती सविता देवी विजयी भेलीह। एकबेर फेर हार्दिक बधाई एवं शुभकामना।।

आशे टा नै अपितु विश्वास अछि चैनपुर गाम श्रीमती सविता झा के नेतृत्व मे नीक जकां विकास करत आ नव मुखिया जी गाम के लोकक विश्वास पर सफल रहतीह। 

सरपंच के रूप मे श्रीमती रितु देवी पुनः निर्वाचित भेलीह। अशेष बधाई एवं शुभकामना।

समिति (उत्तरी भाग) चुनाव मे अपन विजय फेर सं सुनिश्चित केलैथ श्री सुभाषचन्द्र मिश्र 'मंटू मिश्र' । 

श्री सत्येन्द्र मिश्र 'बुची बाबू'  समिति (दक्षिणी भाग) सं विजयी भेलाह।

सब गोटे के बहुत बहुत बधाई।

आशा एवं विश्वास अछि जे नव टीम चैनपुर के एक नव ऊंचाई प्रदान करत।

जय चैनपुर।। जय नीलकंठ।। 




No comments:

Post a Comment